अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
अपने गामक लोक के आई परदेशी कहल अछि
प्रश्न केनिहार स्वयं अंग्रेजी बजैत विदेशी बनल अछि
मुदा ओकरे नहिं मानल अपन जे स्वदेशी आनल अछि
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
कोरोनाक तेहेन कहर सबहक रोजगार छीनल अछि
मजबूर भ मजदूर अपन-अपन गाम पैरे चलल अछि
जीवन मे किंसाईते कहियो एहेन कष्ट सहल अछि
भुखल-पियासल बाले-बच्चे लटुआएल पड़ल अछि
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
बनाओल दोसराक महल नहिं अपन आवास बनल अछि
जे पेट भरैए संसार के वैह किसान भूखल अछि
पलंग-दीवान बनौनिहार स्वयं जमीन पर सुतल अछि
देह पर नहिं लिबास से सबहक वस्त्र बुनल अछि
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
चुनावक समय वोटक खातिर नेता-मंत्री सटल अछि
आवश्यकताक समय सरकारो अपन हाथ खींचल अछि
रोजी-रोटीक जोगाड़ मे नगर-नगर जे भटकल अछि
तकरा लेल सोनू सन भारत मां क सपूत जनमल अछि
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि
@प्रकाश कुमार झा
भागलपुर
9431874022
एहि रचनाक विडियो सेहो उपलब्ध अछि । देखबाक लेल लिंक पर क्लिक करू
बहुत नीक लागल
जवाब देंहटाएंबहुत बढ़िया। बधाई।
जवाब देंहटाएंKhoob marmik chitran
जवाब देंहटाएं