दादी पुछलैन की बनब बौआ
हम कहलियैन बनब हम क्रिकेटर
सुनि क पप्पा दौड़ल अयलाह
कहलाह बेटा हमर बनत इंजीनियर
भनसा घर सं माँओ एलीह
से नहिं हैत बनत बेटा डाॅक्टर
दीदी किए पाछा रहतीह
ओहो आबि अपन पसिन बतौलीह
बनत हमर बाबू हवाई जहाजक पायलट
करत देश-विदेशक टूर
हमरा आब किछु नहिं फुराइये
एहि एकटा जीवन मे हम
की-की बनबै आ
करबै ककर-ककर सेहन्ता पूर ?
©शाश्वत झा
भागलपुर
9431874022
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें