चहुंओर मचल अछि हाहाकार
खाली पड़ल विद्यालय-महाविद्यालय
सुनसान अछि सड़क आ बाजार
कोरोना सं सबके बचाबू सरकार
चहुंओर मचल अछि हाहाकार ।
अनवरत चलैत आबि रहल अछि
पर्यावरणक क्षरण जीव-जंतुक शिकार
मनुक्खक असीमित महत्तवकांक्षा
उताहुल अछि समाप्त करबा लेल संसार
चहुंओर मचल अछि हाहाकार ।
मंगल पर घर बसेबाक सपना देखैत
आ चान के अपन मुठ्ठी मे केनिहार
बड़का-बड़का पावर हाउस सब
सृष्टिक सोझा भ गेलाह अछि लाचार
चहुंओर मचल अछि हाहाकार ।
गेंठ बान्हि लिय प्रकाशक विचार
वन-झांखुर,नदी-पहाड़,पोखरि-डबरा
पशु-पक्षी खेत-खरिहानक संग
आबो राखू नव जीवनक आधार
चहुंओर मचल अछि हाहाकार ।।
@प्रकाश कुमार झा
भागलपुर
9431874022
वाह!
जवाब देंहटाएंBahut badhiya
जवाब देंहटाएं👌👌👌
जवाब देंहटाएं