मंगलवार, 20 दिसंबर 2022

मिथिला महिमा

 मिथिला देश निवासी छी हम

मैथिली हमर भाषा

सातो जनम अही ठाम हो

इएह  हमर अभिलाषा

मिथिला देश ........

जानकी, विद्यापति, सलहेस

सन-सन अपन धरोहरि

जत' भारती, मंडन, अयाची

के रहल अछि बासा

मिथिला देश........

कुशेसर, बिदेसर, सिंहेसर

संग बाबा कपिलेसर

उग्रतारा, उचैठ भगवती

शिव-शक्ति सं आशा

मिथिला देश........

गंगा, गंडक, कमलाक

बहैत अछि धार

बागमती, बलान, महानंदा

कोसी कात सहरसा

मिथिला देश.........


@प्रकाश कुमार झा

आकाशवाणी, भागलपुर

9431874022


मिथिला महिमा

 मिथिला देश निवासी छी हम मैथिली हमर भाषा सातो जनम अही ठाम हो इएह  हमर अभिलाषा मिथिला देश ........ जानकी, विद्यापति, सलहेस सन-सन अपन धरोहरि ज...