सोमवार, 14 सितंबर 2020
माँ/माँ
पांति
ओ चिकर' लगलाह - अएं हौ तोरा सबके कनिको लाज नहिं होय छह?
की भेल मालिक? लाइन मे लागल एक टा गरीब हुनका पुछलकन्हि।
सुनील बाबू - की भेल मालिक, तों हमरा सं पुछै छह? पूछहक ने अपना आगा - पाछा जे पांति मे ठाढ़ छह तकरा सबके?
फेर कियो बाजि उठल - नहिं बुझलौंह मालिक कनी फरिछा क कहियौ ने।
सुनील बाबू आर तसमा गेलाह - देखै नहिं छहक, कैक गोटे दू-दू, तीन-तीन बेरि लाइन मे लागि कम्बल ल लेलक अछि। अहुना कतौ होई? एना जे किछु गोटे एक स बेसी कम्बल ल लेताह त सब जरूरतमंद धरि मदति पहुंच सकतै ?
लाईन मे स एक टा नवयुवक राजेश जे पढ़ल-लिखल छल आ प्रतियोगिता सबहक तैयारी करैत छल, तकरा नहिं रहल गेलै आ बाजि उठल - एतेक किएक तमसाई छीयै सर?
सुनील बाबू - तों चुप रह, तोरा किछु कहलियौ ?
राजेश - हयौ सर एकटा कियो बेसिए ल लेलक ताहि मे एतेक तमसेबाक कोन काज, लेबए दियौ ।
बड़का एलाहा पंचैती कर' - सुनील बाबू पसीना पोछैत बाजए लगलाह । तों की बुझबही ? तों त अपन कम्बल ल चलि जेबएं आ जे लोक सब पाछा मे ठाढ़ अपन-अपन बारी के प्रतीक्षा क' रहल अछि तकर की? एना जे सब कियो बेसी-बेसी ल लेतै त पाछाक लोक धरि मदति पहुंच सकतै ?
राजेश - बात अहांक उचित अछि। मुदा एकटा बात कहब त तमसेबै नै ने?
सुनील बाबू - हं कह ने, की बात?
राजेश - नञि कहब अहां तसमा जाएब आ हमरा कम्बलो नञि देब।
सुनील बाबू - हे-हैया ले तोहर कम्बल। चल आब कह।
राजेश - त सुनू , जे काज एहि ठाम कम्बल पएबा लेल किछु लोक क रहल अछि वैह काज त अहूं कैलौंह अछि।
सुनील बाबू - से कोना रौ , हमरा कत' तों कम्बलक लाइन मे ठाढ़ देखलैंह?
राजेश - हम कम्बलक नञि , नौकरीक लाइनक गप्प क' रहल छी।
सुनील बाबू - नौकरी सं कम्बल के की संबंध, कनी फरिछा क कह।
बहस ततेक बढ़ि गेल जे आस-पासक लोक सब सेहो जमा भ गेल। कम्बल वितरण सेहो ठमकल छल।
राजेश - नौकरी आ कम्बल के कोनो सम्बन्ध नहिं छै सर। संबंध छै दुनू ठाम लाइन मे लागल अंतिम व्यक्ति धरि लाभ पहुंचबा सं।
सुनील बाबू - हमरा किछु नञि बुझाएल। इ सब छोड़ हमरा पर जे तों आरोप लगेलैं तकरा फरिछा ।
राजेश - सैह त कहि रहल छी सर। अहांक परिवार सं अहां लगातार तेसर पुस्त छियै जे प्रशासनिक सेवा धरि पहुंच अपन परिवार, समाज आ गामक नाम रौशन केलियेई अछि। एकर अलावे अहांक परिवार सं अनेक सदस्य सब केन्द्र आ राज्य सरकारक विभिन्न पद के सुशोभित क रहल छथि। बेर-बेर अहां सब भारतक संविधान द्वारा भेटल आरक्षणक लाभ उठा रहल छी। एना जे खाली अहीं सब वा अहां सन किछु परिवार आरक्षणक लाभ लैत रहतै त हमरा सन लोक अथवा एहि पांति मे ठाढ़ अंतिम व्यक्ति धरि ओकर लाभ कोना पहुंचतै ।
सुनील बाबूक मूंह-कान लाल भ गेलैन्ह ।
राजेश पुनः बाजल - हम कोनो नव बात नहिं कहलौंह सर अहां जे कहलियै तकरे समर्थन कैलौंह।
एतेक सुनैत देरी अगल-बगलक भीड़ सं थोपरी के आवाज गनगना उठल आ सुनील बाबू पुनः कम्बलक वितरण मे लागि गेलाह ।
©प्रकाश कुमार झा भागलपुर मो० 9431874022
मिथिला महिमा
मिथिला देश निवासी छी हम मैथिली हमर भाषा सातो जनम अही ठाम हो इएह हमर अभिलाषा मिथिला देश ........ जानकी, विद्यापति, सलहेस सन-सन अपन धरोहरि ज...
-
मैया एलौं कोना इ कोरोना काल मे बझल अछि दुनियां कोन जंजाल मे ना केहेन समय छै ने कहियो देखल एहेन दुर्दिन ने आई धरि सोचल देखू कोन...
-
यह रचना सन् २००० में ही लिखी गई थी । उस समय मोबाईल हमारे हाथों में नहीं आया था । लैंडलाइन फोन हुआ करता था वह भी किसी-किसी घर में ....... टेल...
-
अपने देशक वासी आई प्रवासी बनल अछि अपने गामक लोक के आई परदेशी कहल अछि प्रश्न केनिहार स्वयं अंग्रेजी बजैत विदेशी बनल अछि मुदा ओकरे नहिं मानल अ...